20 चरबाहासबके स्वरगदुतसब जे बात कहने रहै ओहिनङे सब बात सुनल्कै आ देखल्कै तब परमेस्वरके महिमा आ परसन्सा करैत घुइमके गेलै।
जब लोकसबके भिर यि देखल्कै तब उसब डरा गेलै आ लोकसबके एहेन सक्ती दैबला परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।
युहन्ना लोकसबके एहेन कैहके परचार करैछेलै, “जे हमरसे पछा एतौ उ हमरसे बरका छै आ हम निहुकके ओकर जुताके फितो तक खोलैके जोकर के नै चियै।
तखुन्तेसे उ देखे लाग्लै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत ओकर पछा लाग्लै। यि देखैबला औरो लोकसब परमेस्वरके परसन्सा करैले लाग्लै।
यि बात सुइनके परभुमे बिस्बास करैबला यहुदीसब पतरुसके दोस लगाइले छोइरदेल्कै आ परमेस्वरके परसन्सा करल्कै, “आब त परमेस्वर आनो जातीसबके पापसे पस्चाताप कैरके अनन्त जिबन पाबैके अबसर देने छै।”