10 तब स्वरगदुतसब ओकरासबके कहल्कै, “नै डेरा, देख, हम तोरासबके बहुत खुसीके सुसमाचार सुनाइबौ, जे सब लोकसबके लेल हेतौ।
तब तुरन्ते येसु ओइसबके कहल्कै, “नै डरा, हम्ही चियौ, साहस कर।”
तखने येसु ओइसबलग आइबके कहल्कै, “स्वरगके आ पिरथिबीके सब अधिकार हमरा देल गेल छै।
तब स्वरगदुत ओइ जनिसबके कहल्कै, “नै डरा, हमरा मालुम छै कि तुसब कुरूसमे टाइङके मारल येसुके खोजै चिही।
उ एहेन कैहके परचार करल्कै, “आब समय आइबगेल छौ आ परमेस्वरके राज नजदिक एल छौ। तै खातिर आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताप कर आ सुसमाचारमे बिस्बास कर।”
तब येसु उसबके कहल्कै, “जो आ सरा सन्सारमे ज्याके सरा सिरिस्टीके सब लोकसबके सुसमाचार परचार कर!
महज स्वरगदुत ओकरा कहल्कै, “ए जकरिया, नै डेरा! तोहर परथना परमेस्वरमे सुइकार भेलछौ। आब तोहर घरबाली एलिसिबा तोहर लेल एकटा बेटा जलमाइतौ, तु ओकर नाम युहन्ना राखिहे।
स्वरगदुत ओकरा कहल्कै, “हम गबरिएल चियै, हम परमेस्वरके अगामे ठार रहैचियै। तोहर सङे बात करैले आ असल समाध सुनाबैले परमेस्वर हमरा पठाइने छै।
स्वरगदुत ओकरा कहल्कै, “नै डेरा, मरियम, कथिलेत तु परमेस्वरके किरपा पाबनेचिही।
आइ दाउदके सहरमे मुक्तीदाताके जलम भेल छै, जे खिरिस्ट परभु चियै।
तब यरुसलेमसे सुरु कैरके सब जातीसबके ओकर नाममे पस्चाताव आ पाप छमाके परचार हैलेपरतै।
तकरबाद येसु परमेस्वरके राजके सुसमाचार सुनाइले सहर-सहर आ गाम-गाममे गेलै। ओकरसङे बारह गोरे चेलासब छेलै।
हमसब यि सुसमाचार सुनाइले एलचियौ, जे बात परमेस्वर अपनासबके पुरखासबके परतिग्या करने रहौ।
सुनाइबला लोकके नै पठाइतै उ कनङके परचार करतै? जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै कि, “सुसमाचार परचार करैबलाके टाङ कतहेक सुन्दर!”
खिरिस्टके पबितर जनसबमेसे हम सबसे तुच्छ चियै तैयो खिरिस्टके महान सम्पतीके सुसमाचार गैर-यहुदीसबके सुनाइबला बरदान परमेस्वर हमरा देल्कै।
साँचोके तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर आ बलगर भ्याके सुनल सुसमाचारके आसासे पछा नै हट। एह्या सुसमाचार चियै, जे सन्सारके सब लोकसबके परचार करलगेलछै। हम पावल सेहो एह्या सुसमाचार सुनाइले परमेस्वरके सेबक भेलचियै।