12 तब उ कहल्कै, “एक गोरे खन्दानी लोक रजा बैनके एबै से कैहके कोनो दुरके देसमे गेलै आ आपन देस घुमके एलै।
महज बटिदारसब ओकरा देखैत मातर आपसमे बात करे लाग्लै, ‘यि त हकबला चियौ। चल, अपनासब अकरा माइरदहै तब ओकर सब धन-सम्पती अपनासबके भ्याजेतौ।’
तखने येसु ओइसबलग आइबके कहल्कै, “स्वरगके आ पिरथिबीके सब अधिकार हमरा देल गेल छै।
तब येसु उसबके एकटा खिसा कहल्कै, “एकटा लोक अङगुरके खेती करल्कै आ चारुकातसे ओकरा घेरल्कै। अङगुरके रस जम्मा करैके लेल एकटा खाइध खुइनके कोल्हु बनाइल्कै। ओहैमे एकटा मचानो बनाके अङगुरके बारी बटिदारसबके जिम्मा द्याके अपने बिदेस चैलगेलै।
तकरबाद परभु येसु ओइसबसङे बोइल लेलाकेबाद स्वरग दिसन उठ्यालगेलै आ परमेस्वरके देहनाकात बैठलै।
तब येसु लोकसबके यि खिसा कहल्कै, “एकटा लोक अङगुरके खेती करल्कै आ उ खेत बटिदारके बटियामे द्याके उ अपना बहुतदिनके लेल बिदेस चैलगेलै।
आसिरबाद दैतकाल, येसु उसबसे बिदा भेलै आ स्वरग दिसन उठ्यालगेलै।
पिलातस ओकरा पुछल्कै, “कि तु रजे चिही त?” तब येसु जबाफ देल्कै, “हम रजा चियै कैहके अहै त कहैचियै। हम अहै खातिर यि सन्सारमे जलम लेलियै आ सतके बारेमे गबाही दैले सन्सारमे एलियै। जे सतके पक्छमेछै, से हमर बात सुनैछै।”
कथिलेत सन्सारके सब लोकसबके नियाइ करैके दिन उ तोइकदेने छै। ओइ दिन परमेस्वर आपनेसे छानल लोकसे सन्सारके उचित नियाय करतौ। ओइ लोकके नियाइ करैके अधिकार छै से परमान लोकसबके देबेखातिर परमेस्वर ओकरा मरलसे जियाइल्कै।”
कथिलेत खिरिस्ट आपन सब दुस्मनसबके आपन टाङके तरमे नै राखैतलिक ओकरा राज करैये परतै।
ओहिनङे बहुतो लोकके पाप छमाके लेल खिरिस्ट एकेबेर बली भेलै। उ दोसर बेर एतै त, ओइ बखत पाप छमाके लेल नै एतै, महज ओकरासबके मुक्तीके लेल एतै जेसब ओकर बाट ताकैत असियाल रहतै।
येसु स्वरगमे गेलै आ सब स्वरगदुतसब, अधिकारसब आ सक्तीसबके बसमे कैरके परमेस्वरके दहिनाकात बिराजमान भेल छै।
देख, उ बादलमे आइबरहलछै आ हरेक लोक ओकरा देख्तै, उहोसब देख्तै जेसब ओकरा भालासे भोक्ने छेलै। सन्सारके सब जातीके लोक ओकर कारन बिलाप करतै। पक्का ओहिने हेतै। आमेन!