43 तखुन्तेसे उ देखे लाग्लै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत ओकर पछा लाग्लै। यि देखैबला औरो लोकसब परमेस्वरके परसन्सा करैले लाग्लै।
उसब हम परिबरतन भेलाके कारन परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।
तु ओकरासबके आँख खोइलके अन्हारसे इजोतमे आ सैतानके बन्धनसे परमेस्वर दिसन घुमाबे। जैसे उसब हमरमे बिस्बास करे आ ओकरसबके पाप छमा भ्याजाय आ परमेस्वरके पबितर करल लोकसब रहल ठाममे रहे पाबे।’
यि बात सुइनके परभुमे बिस्बास करैबला यहुदीसब पतरुसके दोस लगाइले छोइरदेल्कै आ परमेस्वरके परसन्सा करल्कै, “आब त परमेस्वर आनो जातीसबके पापसे पस्चाताप कैरके अनन्त जिबन पाबैके अबसर देने छै।”
ओइसबसङे सजाय दैके कोनो उपाय नै भेलासे डर-धम्की द्याके छोइरदेल्कै, कथिलेत जे घटना घटल छेलै ओइ घटनाके खातिर सब लोकसब परमेस्वरके परसन्सा करैतरहै।
येसुके यि जबाब सुइनके ओकर बिरोधीसब लाजमे परलै। महज ओकर आस्चरजके करलाहा काम देखके औरो लोकसब खुसी भेलै।
ओतेका सब लोकसब आस्चरजमे परलै, उसब परमेस्वरके महिमा करल्कै आ परमेस्वरके अतेक बरका सक्ती देखके उसब डेरागेलै तब कहल्कै, “आइ हमसब अचमके काम देखलियै।”
तब ओकरलग ठार भ्याके येसु कहल्कै, “जर बोखार अकरा छोर!” तब उ निक भ्यागेलै आ तखुन्ते उठके ओकरासबके स्वागत सत्कार करल्कै।
तब मन्दिरमे अन्हरासब आ नेङरासब येसु लग एलै आ उ ओइसबके निक करल्कै।
अन्हरासब देखैछै, नेङरासब चलैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब सुध हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जिजाइछै आ दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।
जब लोकसबके भिर यि देखल्कै तब उसब डरा गेलै आ लोकसबके एहेन सक्ती दैबला परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।
महज तुसब त परमेस्वरके छानल जन, राजकिय पुजारी, पबितर जाती, निजी परजा चिही। उ तोरासबके अन्हारसे ओकर अचमके इजोतमे आनल्कौ, ताकी तुसब ओकर आस्चरजके कामसबके घोसना करैले सक।
येसु यरुसलेमके लगेमे जैतुन पहारके ढरकाहमे एलै। चेलासबके भिर आपनेसे देखलाहा सब सक्तिसाली कामसबके लेल परमेस्वरके जोर जोरसे परसन्सा करे लाग्लै।
परमेस्वरके एतेक बरका सक्ती देखके सब लोकसब छक परलै। येसुके करल सबकाम, सब लोकसब छक परल देखके, उ आपन चेलासबके कहल्कै,