11 फरिसी ठार भ्याके परथना करल्कै, ‘हे परमेस्वर, हम अहाँके धन्यबाद चरहाइचियै कथिलेत हम औरो लोकसब जखा लोभी, पापी, बेबिचारी आ यि बटीयो उठाइबला जखा नै चियै।
फिलिप आ बारथोलोमाइ, थोमा आ बटी उठाइबला मती, अल्फयासके बेटा याकुब आ थेदियस,
कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, तोरासबके धारमिक्ता धरमगुरुसब आ फरिसीसबसे बेसी नै हेतौ त तुसब कोनो भि हालतमे स्वरगके राजमे नै ढुकबिही।
“जब तुसब परथना करैचिही त, तखुन कपटी जखा नै बन, कथिलेत उसब सभाघरसबमे आ रस्ताके कात-करौतके लोकसब देखे कैहके ठरा भ्याके परथना करैछै। साँचोके, हम तोरासबके कहैचियौ, उसबके आपन इनाम मिलगेलछै।
जखुन तुसब परथनाके लेल खरा हेब्ही, तब ककरो बिरुधमे तुसब कुछो छौ त ओकरा माफ कर, जै से तोहर पिता जे स्वरगमे छौ सेहो तोहर अपराध माफ कैरदेतौ।
उसब बिधुवासबके घर हरैप लैछै आ देखाबटी बरका-बरका परथना करैछै। साँचे उसब त बेसीसे कठोर सजाय पाबतै।”
तब येसु ओइसबसे कन्हिक दुर गेलै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करे लाग्लै,
बेबस्था पालन कैरके धरमी हैले चाहैबलासब सरापके अधिनमे रहैछै कथिलेत पबितर धरमसास्तर कहैछै, “बेबस्थाके किताबमे लिखल सब बात नै मानैबला लोकसब सरापित हैछै।”
जोसके बिसयमे कहबै त मन्डलीके सताबैबला, धारमिकताके बिसयमे कहबै त बेबस्थामे भेल धारमिकतासे हम निस्खोट ठहरलचियै।
हम धनिक चियै आ हमरा कोनो चिजके कमी नै छै कैहके कहैचिही महज तोरा आपने दसा थाहे नै छौ कि तु दुखी, दया लागैबला, गरिब, आन्हर आ नाङटे चिही।