5 तब परेरितसब येसुके कहल्कै, “परभु हमरासबके बिस्बास बरहा दिय।”
तब परेरितसब येसु लग घुइमके एलै। उसब जे-जे करने रहै आ सिखेल्हा बातसब येसुके सुनाइल्कै।
यि सुनते मातर ओइ छौराके बाबु जोरसे कहल्कै, “हे परभु, हम बिस्बास करैचियै, हमर बिस्बासमे औरो बौकार हैले हमरा सहायता करु।”
जब परभु येसु ओइ बिधुवाके देखल्कै तब ओकर हिरदय दयासे भैरगेलै आ कहल्कै, “नै कान!”
यि पुछैले परभु लग पठाइल्कै, “जे आबैबला कि अहाँ उहे चियै? कि हमसब दोसरके आस करु?”
खिरिस्टके देल सक्तीसे हम सबचिज करैले सकैचियै।
भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हरदम परमेस्वरके धन्यबाद देनाइ जरुरी छै। यि फेर योग्यकेभी चियै, कथिलेत तोरासबके बिस्बास परसस्त बरहैत ज्यारहलछौ आ तोरासबके परेम एक-दोसरमे बैढरहल छौ।
अपनासबके बिस्बास सुरु करैबला आ पुरा करैबला येसुके देख। जे पाछुसे पाबैबला आनन्दके लेल अपमानके कुछो नै सोइचके कुरूसमे दुख भोगल्कै आ अखैन उ परमेस्वरके सिंहासनके दहिनाकात बैठलछै।