9 हम तोरासबके कहैचियौ, आपन खातिर दुनियाके धनसे सङीसाथी बना, जब उ धन ओराइतौ, तब उसब तोरासबके स्वरगमे स्वागत करतौ।”
येसु ओकरा कहल्कै, “यदि तु साँचेके असल हैले चाहैचिही त, तोहरसङे भेल सब धन-सम्पती बेचके गरिबसबके बाइट दहै तब तोरा स्वरगमे धन मिल्तौ। तब आइबके हमर पछा लाग।”
“आपन खातिर पिरथिबीमे धन-सम्पती नै ढेरिया, जते ओकरा किरा आ बिज लाइगके नास कैरदैछै। जते चोरसब सिन कोइरके ओकरा चोरालैछै।
“दुइटा मालिकके सेबा कोइ नै करे सकैछै। कथिलेत उ एकटाके घिरना करतै आ दोसरसे परेम करतै। उ एकटाके मान-दान करतै आ दोसरके खराब समझतै। तुसब परमेस्वर आ धन दुनुके सेबा करे नै सकबिही।
महज भितरोमे राखल चिजसब गरिबसबके दान दहै, तब तोरासबके खातिर सबचिज सुध हेतौ।
तुसब आपन धन बेचके गरिबसबके दहै। आपन खातिर कहियो नै फाटैबला बटुवा तैयार कर। तहिनङे कहियो नास नै हैबला धन स्वरगमे जमा कर। जते चोर नै एतौ आ नै किरो लागतौ।
तब तुसब आसिस पाबबिही, कथिलेत उसब तोहर गुन घुमाइले नै सक्तौ। ताब परमेस्वर आपन धरमी जनसब पुनरूथान हैतकाल तोरा इनाम देतौ।”
तै खातिर तुसब दुनियाके धनमे इमान्दार नै हेब्ही त, साँचोके धनके जिम्मा तोरासबके के देतौ?
“कोनो नोकर दुइटा मालिकके सेबा-टहल नै करे सकैछै, कथिलेत उ एकटाके घिरना करैछै त, दोसरके परेम करैछै, या त उ एकटाके आदर करैछै त दोसरके तुच्छ ठानैछै। तुसब परमेस्वर आ धन दुनुके सेबा करैले नै सकबिही।”
मुन्सीके नोकरी छुइट गेलाके बादो लोकसब कनङके हमरा उसबके घरमे बोलाइतै आ स्वागत करतै से बात हम सोइचलेने चियै।’
आ कहल्कै, ‘करनेलियस, परमेस्वर तोहर परथना सुन्नेछौ आ तोहे गरिबसबके दान करल असल कामसब उ जानैछै।
करनेलियस स्वरगदुत दिसन डेरा-डेराके ताकल्कै आ कहल्कै, “कहु परभु” स्वरगदुत कहल्कै, “तोहर परथना आ गरिबसबके उपर देख्याल दयाके कामसब परमेस्वर देख्ने छौ। परमेस्वर तोहर सब असल कामके भेटीके रुपमे सुइकार करनेछौ।
अपनासबके अखैन भोगल दुख पछा आबैबला बरका अनन्तके सुख समैझके त साँचे यि कुछो नै चियै।
आपनके परमेस्वरके परेममे राख आ अनन्त जिबनके लेल अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके किरपाके परतिक्छा कर।