13 “कोनो नोकर दुइटा मालिकके सेबा-टहल नै करे सकैछै, कथिलेत उ एकटाके घिरना करैछै त, दोसरके परेम करैछै, या त उ एकटाके आदर करैछै त दोसरके तुच्छ ठानैछै। तुसब परमेस्वर आ धन दुनुके सेबा करैले नै सकबिही।”
तब येसु फेनो ओकरा जबाब देल्कै, “ऐ सैतान, तु हमर नजरसे दुर भ्याजो! कथिलेत लिखल छै, ‘तु परमपरभु आपन परमेस्वरके गोर लाग आ ओकरेटा सेबा कर।’”
“दुइटा मालिकके सेबा कोइ नै करे सकैछै। कथिलेत उ एकटाके घिरना करतै आ दोसरसे परेम करतै। उ एकटाके मान-दान करतै आ दोसरके खराब समझतै। तुसब परमेस्वर आ धन दुनुके सेबा करे नै सकबिही।
जे लोक हमर पक्छमे नै छै, उ हमर बिरोधमे छै। जे हमरसङे नै बिछछै, उ लोक छिरियाइछै।
“हमर पछा आबैबला आपन माँ-बाबु, घरबाली, बेटा-बेटी, भैया-भाइ, दिदी-बहिनसबके आ आपन परानके हमरसे बेसी परेम करैछै त, उ हमर चेला नै बने सक्तै।
अगर तुसब दोसरके धनमे इमान्दार नै हेब्ही त, तोरासबके पाबैबला धनके देतौ?
हम तोरासबके कहैचियौ, आपन खातिर दुनियाके धनसे सङीसाथी बना, जब उ धन ओराइतौ, तब उसब तोरासबके स्वरगमे स्वागत करतौ।”
महज येसु ओकरा कहल्कै, “अकरा नै रोक। कथिलेत जे तोहर बिरोधमे नै छौ, उ तोहर पक्छमे हेतौ।”
हे बेबिचारी लोकसब! परमेस्वरके छोइरके यि सन्सारके खराब चालचलनमे चलैबला लोकसब परमेस्वरके दुस्मन हैछै से बात तोरौरके थाह नै छौ? अहैलेल यदि कोनो लोक यि सन्सारके खराब चालचलनमे चल्तै, उ परमेस्वरके दुस्मन चियै।