11 तै खातिर तुसब दुनियाके धनमे इमान्दार नै हेब्ही त, साँचोके धनके जिम्मा तोरासबके के देतौ?
“दुइटा मालिकके सेबा कोइ नै करे सकैछै। कथिलेत उ एकटाके घिरना करतै आ दोसरसे परेम करतै। उ एकटाके मान-दान करतै आ दोसरके खराब समझतै। तुसब परमेस्वर आ धन दुनुके सेबा करे नै सकबिही।
तुसब आपन धन बेचके गरिबसबके दहै। आपन खातिर कहियो नै फाटैबला बटुवा तैयार कर। तहिनङे कहियो नास नै हैबला धन स्वरगमे जमा कर। जते चोर नै एतौ आ नै किरो लागतौ।
अगर तुसब दोसरके धनमे इमान्दार नै हेब्ही त, तोरासबके पाबैबला धनके देतौ?
हम तोरासबके कहैचियौ, आपन खातिर दुनियाके धनसे सङीसाथी बना, जब उ धन ओराइतौ, तब उसब तोरासबके स्वरगमे स्वागत करतौ।”
यि बात सुइनके येसु ओकरा कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहर सङे भेल्हा सब धन-समपैत बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन हेतौ आ हमर पछा लाग।”
खिरिस्टके पबितर जनसबमेसे हम सबसे तुच्छ चियै तैयो खिरिस्टके महान सम्पतीके सुसमाचार गैर-यहुदीसबके सुनाइबला बरदान परमेस्वर हमरा देल्कै।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, सुन। कि परमेस्वर सन्सारके गरिबसबके बिस्बासमे धनिक बनाके ओइ राजके हकदार हैकेलेल नै चुन्ने छै? ओह्या राज ओकरा परेम करैबलासबके उ दैले परतिग्या करनेचियै नै?
अहैलेल हम तोरा यि सल्लाह दैचियौ कि, धनिक हैकेलेल आइगसे खारल निखुर सोना हमरसे किन। आपन नाङट आङके लाज झापैके लेल उजर बस्तर हमरसे किनके लगा आ आँखसे देखे सकैबला हैकेलेल हमरे मलहम किनके लगा।