7 हम तोरासबके कहैचियौ, अहिनङ पस्चाताव नै करैबला निनानब्बे धरमात्मासबमेसे आपन पाप माइनके पस्चाताव करैबला एक गोरे पापीके लेल स्वरगमे बेसी खुसी हैछै।”
साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जब उ हरेल्हा भेंरा भेटेतै त, नै हरेल्हा निनानब्बेटा भेंरासबसे बेसी हरेल्हा एकटा भेंराके लेल खुसी मनाइतै।
तुसब आपन आपन पाप माइनके पस्चाताप करनेचिही त, असल बेबहार कैरके देखा।
हम तोरासबके कहैचियौ, अहिनङे पस्चाताव करैबला पापीके लेल स्वरगमे परमेस्वर स्वरगदुतसबके अगा खुसी मनाबैछै।”
महज उ बाबुके कहल्कै, ‘देखु, अतहेक बरिससे हम अहाँके नोकर जखा सेबा कैररहलचियै, अहाँके बात कहियो नै काटने चियै, तैयो हमरा आपन सङि-साथीसब सङे भोज खाइले अहाँ कहियो नै हमरा एकटा पठरुवो तक देलियै।
महज अपनासबके खुसी हेबैये परतै, कथिलेत तोहर यि भाइ मरल जखा छेलौ, जियल छौ, हर्याल छेलौ, भेटलौ।’”
तब घरमे आइबके उ आपन सङिसब आ परोसियासबके बोलाइछै, तब ओइसबके कहैछै, ‘हमर हरेल्हा भेंरा भेटगेलै! सबकोइ आबैजो, हमरसङे खुसी मना।’
फेनो येसु ओइसबके एकटा खिसा सुनाइत कहल्कै, “कोन एहेन जनिसब हेतै जकर दस चानीके टकामेसे एकटा हराजेतै त इजोत बाइरके जाबेतक नै भेटतै ताबेतक बरहनीसे बरहाइरके निकसे नै ताक्तै?
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “लोकसबके अगामे आपनके धरमी देखाइबला तुहिसब चिही, महज परमेस्वर तोरासबके हिरदयके बातसब जानैछौ, कथिलेत लोकसबके बिचमे जे बरका कहाइछै, परमेस्वरके नजरमे उ सबसे तुच्छ हैछै।
तैहनङे हम धरमीसबके नै महज पापीसबके पापसे पस्चातापके लेल बोलाइले एलचियौ।”
एक समय हम बेबस्था नै जाइनके आपन हिसाबसे जिबन बिताइ छेलियै, महज बेबस्थाके कहल बात बुझलाके बाद हम पाप करिये रहलचियै कैहके थाह पाबलियै आ पापके कारनसे हम मैरगेलियै।