31 तब बाबुजी कहल्कै, ‘बेटा तु त हमरसङे सबदिन चिहीके, हमर सब समपैत तोरे त चियौ।
महज अहाँके सम्पैत रन्डीवाजमे उराइबला बेटा एल त बरका मोटगरहा खसी काइटके भोज करलियै।’
महज अपनासबके खुसी हेबैये परतै, कथिलेत तोहर यि भाइ मरल जखा छेलौ, जियल छौ, हर्याल छेलौ, भेटलौ।’”
दास त सबदिन घरमे नै रहैछै, महज बेटा त सबदिन घरेमे रहैछै।
ओहैसे आब हम तोरासबके कहैचियौ, “कि परमेस्वर आपनेसे छानल इजराएलीसबके त्यागने छै त?” कहियो नै! कथिलेत हम्हु एक इजराएली आ अबराहमके बंसमे जलमल बेन्यामिन कुलके चियै।
कोइ नै परमेस्वरके कोनो चिज देने छै, ओहैसे परमेस्वरके ककरो फिरतो दैले नै परतै।
उसब इजराएली चियै आ परमेस्वर ओकरासबके आपन बेटा-बेटीसब बनेल्कै। उ आपन महिमा ओकरासबके परकट करल्कै। ओकरासबसङे करार बानहल्कै, बेबस्था देल्कै आ आराधना करैले सिखेल्कै। उसब ओकर परतिग्या पाबल्कै।