17 “जब ओकर मन फिरलै, तब उ मनेमन अपने आपके कहल्कै, ‘हमर बाबुके घरमे त बहौतरा नोकर-चाकरसब भोइर पेट ख्याके उबारबो करैछै, महज हम अते भुखसे मरैचियै।
उ सुगरके खाइबला आहारासे आपन पेट भरैले ताकैछेलै, महज ओकरा कोइ नै कुछो दैछेलै।
जब उ धनिक लोक नरकमे बहुत दुख काटैछेलै तब उ उपर दिसन नजर पसाइरके ताकल्कै त दुर अबराहमसङे लाजरसके बैठल देखल्कै।
कथी भेलछै से देखैले लोकसब येसु लग एलै। जे लोकसे भुतसब निकलल छेलै। ओकरा जमा-जोरा लग्याके येसु लग बैठल देखल्कै। यि देखके लोकसब छक्के परलै।
जब पतरुसके होस खुल्लै तब उ कहल्कै, “साँचोके आब हमरा थाह भेलै, कि परभु आपन स्वरग दुत पठाके हेरोद रजाके हाथसे आ यहुदीसब जे करैले चाहैछेलै ओइसबसे हमरा छुटकारा देल्कै।”
यि बात सुइनके उसब दुखी भेलै आ पछताबे लाग्लै, तब पतरुस आ औरो परेरितसबके उसब कहल्कै, “भाइसब, हमसब कथी करबै?”
जे असली रुप परकट हैछै उ इजोत चियै। पबितर धरमसास्तरमे अनङ लिखलछै, “हे बिभोर निनमे परल लोकसब जाग आ आपन पापके कारनसे मरल नै रह, जिबित हो। तब खिरिस्टके इजोत तोरासबमे चमकतौ।”