23 मालिक फेनो कहल्कै, ‘सहरके मुल रस्ता आ चौरी चाचर ज्याके लोकसबके भितर बोलाके आन, तब हमर घर भरे!
“तैखातिर हम तोरासबके कहैचियौ, परमेस्वरके राज तोरासबसे छिनल जेतौ आ एहेन जातीके जिम्मा देल जेतै, जे ओकर इछा अनुसार करतै।
यदी कोइ तोरा एक कोस जबरजस्ती जाइले कहैछौ त, ओकरसङे दुइ कोस चैलके जो।
“तब नोकर कहल्कै, ‘मालिक अहाँके अरहयाल बमोजिम करलियै, तैयो औरो ठामसब खालिये छै।’
कथिलेत कोनो नौतहारीसब हमर भोजके सबाद चाखे नै पाबतै।’”
महज उसब येसुके कहल्कै, “हमरेसबसङे रहु, सुरुज डुइबगेलै आ रातो हैले लागल जाइछै” तब येसु ओहैसबसङे रहैले घर भितर ढुक्लै।
जब उ आ ओकर घरके सबलोक बप्तिस्मा लेल्कै आ हमरासबके आगरह करल्कै, “यदी अहाँसब साँचोके हमरा परभुके बिस्बासी कहैचियै त हमर घरमे आइबके रहु।” आ उ हमरासबके जबरजस्ती करेलाग्लै ताकि हमसब ओकर घरमे जाइ।
महज यि बात सुइनके उसब पावलके बिरोध आ अपमान करे लाग्लै, तखुन्ते पावल ओइसबके चेताबनीके खातिर आपन बस्तरसे गरदा झारैत कहल्कै, “यदी तोरासबमेसे कोइ नास हेब्ही त आपने दोसके कारन नास हेब्ही तकर दोसी हम नै हेबौ। आबसे हम दोसरे जातीसबके बिच सुसमाचार सुनाइले जाइचियौ।”
“अहैलेल तोरासबके थाह हेबे कि परमेस्वरके यि मुक्ती गैर-यहुदीके लेल पठालगेल छै आ उसब सुन्तै।”
महज परभु ओकरा कहल्कै, “जो, कथिलेकी साउल गैर-यहुदीसब, रजासब आ इजराएलीसबके सामने हमर नामके परचार करैबला उ हमर छानल लोक चियै,
ओनङ छै त, “तब कि उसब सुसमाचार नै सुन्नेछै से?” उसब साँचोके सुन्नेछै। परबितर धरमसास्तरमे एहन लिखलछै, “ओइसबके सुसमाचार पिरथिबीके सब ठाममे पुगलछै आ ओइसबके सन्देस सन्सारके कोना-कोनातक पुगलछै।”
परभुके डर कथि चियै कैहके हमरासबके थाहछै, ओहैसे हमसब लोकसबके सम्झाबैके कोसिस करैचियै। हमसब के चियै कैहके परमेस्वरके निकसे थाहछै आ हमर जिबन तोरासबके अगा खुलस्तछौ कैहके हम आस करैचियै।
ओहैसे हमसब खिरिस्टके राजदुतसब चियै आ परमेस्वर हमसबसे तोरासबके बिन्ती कैर रहलछौ। तुसब परमेस्वरसङे मेलमिलाप कर कैहके हमसब सेहो खिरिस्टके तरफसे तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
हमसब परमेस्वरसङे काम करैबलासब भेलाके कारन तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि परमेस्वरसे भेटल अनुगरहके बेरथमे जाइले नै दहै।
साँचोके तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर आ बलगर भ्याके सुनल सुसमाचारके आसासे पछा नै हट। एह्या सुसमाचार चियै, जे सन्सारके सब लोकसबके परचार करलगेलछै। हम पावल सेहो एह्या सुसमाचार सुनाइले परमेस्वरके सेबक भेलचियै।
तैखातिर हमसब ग्यानमे सबलोकके चेताबनी आ सिक्छा दैत खिरिस्टके बारेमे परचार करैचियौ ताकी सबलोकके खिरिस्टमे परिपक बन्याके परमेस्वरके अगा लाबैले सकी।
परमेस्वरके बचन सुना। बेलोमे कुबेलोमे सुसमाचार सुनाइले नै छोर। पुरा-पुरी धिरजसे लोकसबके सम्झा, चेताबनी दहै आ असल सिक्छासे हिम्मत बरहा।