29 लोकसब पुरुब, पछिम, उतर आ दछिनसे आइबके परमेस्वरके राजमे भोज खाइले बैठतै।
हम तोरासबके कहैचियौ, बहुतो लोकसब पुरब आ पछिमसे एतौ आ अबराहम, इसहाक आ याकुबसङे स्वरगके राजमे भोजन खाइले बैठतै।
तब पिरथिबी आ अकासके चारु दिसरसे उ आपन छानल लोकसबके जमा करैले स्वरगदुतसबके पठाइतै।
आब सुन! जे अखन पछिल्का छै उ पहिन्का हेतै आ जे अखन पहिन्का छै उ पछिल्का हेतै।”
“अहैलेल तोरासबके थाह हेबे कि परमेस्वरके यि मुक्ती गैर-यहुदीके लेल पठालगेल छै आ उसब सुन्तै।”
साँचोके तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर आ बलगर भ्याके सुनल सुसमाचारके आसासे पछा नै हट। एह्या सुसमाचार चियै, जे सन्सारके सब लोकसबके परचार करलगेलछै। हम पावल सेहो एह्या सुसमाचार सुनाइले परमेस्वरके सेबक भेलचियै।
यि सुसमाचार तोरोसबके बिचमे एलछौ आ खिरिस्टके यि सुसमाचार सन्सारके बहुतो ठामसबमे लोकसब सुइनके बिस्बास कैररहलछै आ ओइसबके जिबन परिबरतन भ्यारहलछै। तुसब परमेस्वरके अनुगरहके बारेमे सत बात सुनल आ बुझल दिनसे सुसमाचार तोरोसबमे सेहो ओहिनङे काम कैर रहलछौ।