28 ओइ बखत तोरासबके पुरखा अबराहम, इसहाक, याकुब आ सब अगमबक्तासबके परमेस्वरके राजमे देखबिही महज तुसब आपनके बाहर फेकल जेबिही तब तुसब कानबिही आ दाँत किटकिटाइबिही।
आ ओइसबके आइगके धिधरामे फेकदेतै। ओते लोकसब कान्तै आ दाँत किट-किटेतै।
आ आइगके धिधरामे झोइक देतौ। ओते उसब कान्तै-खिजतै आ दाँत किट-किटेतै।”
तब रजा आपन नोकरसबके आदेस करल्कै, ‘ले, ओकर हाथ-टाङ बान्हके बाहरके अन्हारमे फेकदहै, जते उ कान्तै आ दात किटकिटाइतै।’”
तब मालिक ओकरा कठोर दन्ड देतै आ ओकरा कपटीसबके बिचमे फेक देतै, जते लोकसब कानैत रहैछै आ दात किटकिटाइत रहैछै।”
यि बेकम्मा नोकरके बाहर अन्हारमे फेक दहै, जते लोक कानैछै आ दाँत किटकिटाबैछै।’”
तब हे कफरनहुमके बासिसब, तुसब स्वरगतक ज्याके आदर सम्मान देबही से सोचैचिही? नै, तुसब त नरकमे खसबिही।
येसुसङे खाइले बैठलहा लोकसबमे से एक गोरे यि बात सुइनके ओकरा कहल्कै, “उ लोक धैनके है, जे परमेस्वरके राजमे भोजन पाबतै।”
जब उ धनिक लोक नरकमे बहुत दुख काटैछेलै तब उ उपर दिसन नजर पसाइरके ताकल्कै त दुर अबराहमसङे लाजरसके बैठल देखल्कै।
परमेस्वरके धारमिक इन्साफके परमान यह्या चियै कि तुसब परमेस्वरके राजमे जाइके योग्य बन। तुसब ओहै राजके खातिर दुख सहैचिही।
तब अपनासबके परभु आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके अनन्त राजमे तोरासबके धुम-धामसे स्वागत हेतौ।
महज डरपोकसब, बिस्बास नै करैबलासब, घिनलागैबला काम करैबलासब, हतियारासब, बेबिचारीसब, जादु-टोना करैबलासब, मुरती पुजा करैबलासब आ झुठ बोलैबलासबके ठाम त आइग आ गन्धक बरैबला भठिमे हेतै। यि दोसर मिरतु चियै।”
महज कुतासब जखा खराब लोकसब, जादु-टोना करैबलासब, बेबिचारीसब, हतियारासब, मुरती पुजा करैबलासब, झुठ मन पराइबला आ तै अनुसार जिबन बिताइबलासब सहरसे बाहरे रहतै।