26 तब तुसब कहबिही, ‘हमसब अहैसङे बैठके खेलियै-पिलियै आ अहाँ हमरासबके गामके टोल-टोलमे सिक्छा दैछेलियै।’
महज उ फेनो कहतौ, ‘तुसब के चिही? हम नै चिन्हैचियौ। ए दुस्ट काम करैबलासब, हमरसे दुर चैलजो!’
ओइखातिर तुसब आपन पाप माइनके आ पस्चाताव कैरके असल बैनके देखा। ‘अपनासब अबराहमके खन्दानके सन्तान चियै’ तै खातिर दन्डसे भागबै कैहके नै सोच, कथिलेत परमेस्वर अबराहमके लेल यि पथलोसे सन्तान बनाइले सक्तौ।
उसब भक्ती करैबला रुप धारन त करैछै महज भक्तीके भितरी सक्तीके सुइकार नै करैछै। एहेन लोकसबसे दुरे रह।
उसब परमेस्वरके जानैछै कैहके दाबी करैछै महज ओइसबके बेबहारसे उसब परमेस्वरके इन्कार करैछै से बात देखाइछै। उसब घिनलागैबला आ अटेरी हैछै आ कोनो असल काम करे लाएकके नै छै।