24 “सकेत केबारसे ढुकैले आपन पुरा बल लगा। कथिलेत, हम तोरासबके कहैचियौ, बहुत लोकसब ढुकैले चाहतै, महज ढुके नै सक्तै।
बप्तिस्मा दैबला युहन्नेके बखतसे अखुनतक स्वरगके राज जोर-तोरसे अगा बैढ़ रहल छै, तब जबरदस्ती करैबला लोकसब स्वरगके राजके बिरोध कैररहलछै।
तब कोइ येसुके कहल्कै, “परभु, कमे लोकसब मातर उदार पाबतै?” येसु उसबके कहल्कै,
महज यि सब बातसबसे बचैले आ मानब पुतरके अगामे ठडा हेबे सके तै सक्तिके लेल परमेस्वरसङे सबघरी जागल रह आ परथना कर।”
“हे हमर छोट बालकसब! कुछ देरतक मातरे हम तोरासबसङे रहबौ। तुसब हमरा ताकबिही आ जहिनङ हम यहुदीसबके कहने छेलियै, आब तोरोसबके कहैचियौ, ‘जते हम ज्यारहल चियै, तते तुसब आबैले नै सकबिही।’
कथिलेत परमपरभुके एकटा दुत समय समयमे पोखैरमे आइबके पानीके हिल्यादैछेलै आ पानी हिलैत मातर जे सबसे पहिने पानीमे जाइछेलै, ओकरमे भेल सब परकारके रोग-बिमार निक भ्याजाइछेलै।]
नास हैबला भोजनके खातिर मेहनत नै कर महज अनन्त जिबन तक रहैबला भोजनके लेल मेहनत कर, जे मानबके बेटा तोरासबके देतौ। कथिलेत परमेस्वर पिता ओकर उपर आपन छाप लगादेनेछै।”
तुसब हमरा ताकबिही, महज नै भेटाइबिही आ हम जते रहबौ, तते तुसब आबैले नै सकबिही।”
येसु फेनो ओइसबके कहल्कै, “हम अतेसे ज्यारहलचियौ आ तुसब हमरा ताकबिही, महज तुसब आपने पापमे मरबिही। जते हम ज्यारहलचियौ, तते तुसब आबे नै सकबिही।”
कथिलेत परमेस्वर लोकसबके आपन अगा धरमी ठहराबैबला तरिकाके उसब जान्बे नै करैछेलै, तैल्याके उसब धरमी ठहराबैबला तरिकाके असुइकार करल्कै। उसब आपने तरिकासे परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैले ताकल्कै।
खिरिस्टके महान सक्तीमे भर पैरके यि काम हम एकदम मेहनतसे करैचियै।
ओहैसे अपनासब ओइ बिसराम पाबैबला ठाममे ढुकैके खातिर कोसिस कर। यदि अपनोसब इजराएली लोकसब जखा अटेरी हेबै त अपनोसब नास हेबै।
तैल्याके हे भाइसब, परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ आ चुन्ने छौ से बात आपन जिबनमे परमानित करैले एकदम कोसिस करैतरह। तुसब एहैन करबिही त, बिस्बाससे कहियो नै गिरबिही।