13 तब येसु ओकर उपरमे आपन दुनु हाथ राखल्कै। उ तखुन्ते सोझ भेलै आ परमेस्वरके परसन्सा करे लाग्लै।
जब लोकसबके भिर यि देखल्कै तब उसब डरा गेलै आ लोकसबके एहेन सक्ती दैबला परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।
उसब आपन हाथसे साँपसब पकरतौ आ कोनो परकारके बिखो पिलेतै त तैयो कोनो नोक्सान नै हेतै। तब रोगी-बिमारीसब उपर आपन हाथ राख्तौ आ उसब निक हेतौ।”
आ एहेन कैहके बिन्ती करल्कै, “हमर छोटकी बेटी मरे लागल छै, आइबके ओकर उपरमे आपन हाथ राखदिय जैसे उ निक हेबे आ जि जाय।”
तहैले येसु ओते कोनो-कोनो बिमारसब उपर आपन हाथ राइखके ओइसबके निक करै बाहेक ओकरासबके अबिस्बासके कारन कोनो सक्तिसाली काम करे नै सकल्कै।
येसु फेनो ओकर आँखमे आपन हाथ राखल्कै आ उ एकटक लग्याके ताकल्कै। तब ओकर आँखमे रोसनी एलै आ उ फेनो निकसे देखे लाग्लै।
येसु ओकरा देखल्कै आ बोलाके कहल्कै, “हे जनि, आब तु आपन कमजोरीसे छुटकारा पाबलिही।”
तखुन्तेसे उ देखे लाग्लै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत ओकर पछा लाग्लै। यि देखैबला औरो लोकसब परमेस्वरके परसन्सा करैले लाग्लै।
रौद डुब्लाके बाद बहुत किसिमके रोगीसबके येसु लग आनल्कै। येसु ओकरासबके उपरमे हाथ राखल्कै आ सब रोगीसबके निक करल्कै।
तब हननिया गेलै आ ओइ घरमे ढुइकके साउल उपर हाथ राइखके कहल्कै, “भाइ साउल, तोहे आबैतखिना जे परभु येसु तोरा रस्तामे दरसन देने छेलौ, ओह्या हमरा तोहर खातिर तु देखे पाबबिही आ पबितर आत्मासे भरपुर हेब्ही कैहके हमरा पठाइने छै।”