6 कि दुइ टकामे पाँचटा बगरा नै बिकाइछै? कतबो सस्ता हेतौ त परमेस्वर एकोटा बगराके नै बिसरैछै।
कि एक टकामे दुइटा बगरा नै बिकाइछै? तैयो एकोटा बगरा परमेस्वर पिताके इक्छा बेगर भुइयामे नै खसैछै।
महज ओते एकटा गरिब बिधुवा तामके दुइगो डलर दान करल्कै, जकर मोल एको पैसासे कम छेलै।
कौवासबके देख, नै त उसब बिचहन छिटैछै, नै काटैछै, ओकरासबके नै त भन्डार नै बखारी छै, महज तैयौ परमेस्वर ओकरासबके खियाबैछै। तुसब त ओइ चिरै-चुरगुनसे बहुत मुल्यबान चिही!
चौरीके लिली फुलाके बिचार कर, नै त उसब मेहनत करैछै, नै त धगासे कपरा बुनैछै, महज हम तोरासबके कहैचियौ, सोलोमन रजा कतबो धनिक छेलै तैयो उ लिली जखा सजिसजाउ नै भेलै।