57 कोन बात ठिक चियै कैहके तुसब कथिले नै आपनेमे उचित निरनय करे सकैचिही?
तब येसु उसबके जबाफ देल्कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी तोरासबमे बिस्बास छौ आ सङका नै कैरके यि अन्जिरके गाछके जे हम करलियै अतबेक नै, महज यि पहारके ‘तु अतेसे उखैरके समुन्दरमे खस’ कहबिही त तहिनङे हेतौ।
कथिलेत युहन्ना धारमिकताके रस्ता देखाबैत तोरासबलग एलौ, महज तुसब ओकरा बिस्बास नै करलिही। बरु बटी उठाइबलासब आ बेस्यासब ओकर उपर बिस्बास करल्कै। यि सब देखियोके तुसब आपन पाप सुइकार नै करलिही आ ओकरमे बिस्बास नै करलिही।”
ओइमे लबगोजा पत्ता एल देखके तोरासबके आपने थाह हेतौ, कि आब गरमिके समय नजदिक छै।
मुह देखके नियाइ नै कर, महज ठिकसे नियाइ कर।”
औरो बहुत बातसबसे उ ओइसबके गबाही देल्कै आ सम्झाइत कहल्कै, “यि भरस्ट पुस्तासे तोरौरके आबैबला दन्डसे अपने-आपके बचा।”
तुसब आपनेसे बिचार कर, कि जनि आपन सिर नै झाइपके परमेस्वरसे परथना करैले सोहाइछै?
पुरुख नमहर केस पालनाइ ओकरलेल सरमके बात चियै कैहके कि परकिरती तोरासबके नै सिखाइछौ से?