52 कथिलेत आबसे एके परिबारमे पाँच गोरे एकदोसरसे भिन हेतै, तिन गोरेके बिरोधमे दुइ आ दुइके बिरोधमे तिन उठतै।
हम धरतीमे सान्ती दैले एलचियौ सम्झैचिही? नै, हम त लोकसबके भिन कराइले एलचियौ।
बापके बिरोधमे बेटा आ बेटाके बिरोधमे बाप, महताइर बेटीके बिरोधमे आ बेटी महताइरके बिरोधमे, तैहनङे सौस आपन पुतौहके बिरोधमे आ पुतौह सौसके बिरोधमे उठतै।”
उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्तै।
कोनो-कोनो फरिसीसब कहल्कै, “यि लोक परमेस्वर दिसनसे नै एलछै, कथिलेत उ पबितर बिसराम दिनके पालन नै करैछै।” महज दोसर लोकसब कहेलाग्लै, “जे पापी हेतै, उ एहेन अचमके चेन्हासब कनङके देखाइले सक्तै?” अहै बातमे ओइसबके आपनमे मतभेद भ्यागेलै।
कतहेक गोरा बुइझके बिस्बास करल्कै त, कतहेक गोरा नै करल्कै।