5 महज ककरसे डेराए परतौ, हम तोरासबके चेताबनी दैचियौ, ओकरेसङे डराबेपरैछै जकरसङे देहके मारके नरकमे फेकैके सक्ती छै। हम त कहैचियौ, ओकरेटासे मातर डेरा।
ओइसबसे नै डेरा जे देहके मातरे मारैछै, महज आत्माके नै मारे सकैछै। बरु ओकरेसङे डेरा जे आत्मा आ देह दुनुके नास कैरके नरकमे फेकैके सक्ती छै।
“तकरबाद उ आपन बमा कता भेल्हासबके कहतै, हे परमेस्वरसे सराप पाबलाहा लोकसब। हमरसे दुर चैल जो! सैतान आ ओकर दुतसबके लेल तैयार करल कहियो नै मुझाइबला आइगमे चैल जो।
तब उसब दन्डके भागिदार हेतै, महज धरमीसब अनन्त जिबन पाबतै।”
महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ आपन भाइसे करोध करैछै, उ सजायके भागिदार हेतै, जे कोइ आपन भाइके अपमान करैछै, ओकरा धारमिक महासभामे जबाब देबे परतै। महज जे कोइ आपन भाइके सराप दैछै, उ नरकके आइगमे खसै जोकरके हेतै।
तै खातिर तुसब जागल रह! यि बात हम तोरासबके पहिने कैहदेनेचियौ।”
एहैन खराब काम कैरके कोनो लोक आपन बिस्बासी भाइसबसे नाजाएज फाइदा नै उठाबे। कथिलेकी एहेन पाप करैबलासबके परमेस्वर दन्ड दैछै। अइके बारेमे हमसब पहिने तोरासबके एकदमसे चेताइने चियौ।
जिबित परमेस्वरके हाथमे परनाइ एकदमे डरलागैबला बात चियै।
परमेस्वर त पाप करैबला स्वरगदुतोसबके बाकी नै राखल्कै, महज उसबके नरकके खाइधमे फेक देल्कै। ओइसबके नियाइके दिनतक पतालके अन्धकारमे बाइन्हके राखनेछै।
उ बरका अबाजमे कहल्कै, “परमेस्वरके डर मान आ ओकर महिमा कर, कथिलेत ओकर नियाय करैबला समय आइबगेल छै। स्वरग, पिरथिबी, समुन्दर आ पानीके भवसब बनाबैबला परमेस्वरके आराधना कर।”
हे परभु, अहाँके डर के नै मानैछै? आ अहाँके नामके महिमा के नै करैछै? कथिलेकी अहाँ मातरे पबितर चियै। सब जातीके लोकसब आइबके अहाँके अगा आराधना करतै, कथिलेत अहाँके धारमिक कामसब परकट भेलछै।”
मिरतु आ पताल आइगके भठिमे फेकलगेलै। यि दोसर मिरतु चियै।