51 हँ, हम तोरासबके कहैचियौ, हाबिलके खुनसे ल्याके बली बेदी आ परमेस्वरके मन्दिरके पबितर जगहके बिच मारल जकरिया तकके खुनके लेखा अहै पुस्ताके लोकसबसे ल्याल जेतै।
अहै तरहसे पिरथिबीमे धरमी लोकके जतहेक खुन बहलै- धरमी हाबिलके लहुसे लके बेरेक्याहके बेटा जकरियाके लहुतक, जकरा तुसब मन्दिरके पबितर ठाम आ बेदीके बिचमे हतिया करलिही- तकरासबके दोस तोरेसबके कपारमे परतौ।
बिस्बाससे हाबिल आपन भैया कयिनसे औरो बेसी गरहन योग्य बली परमेस्वरके चरहेल्कै आ ओहैसे हाबिल धरमी ठहरलै। ओकर चरहाल बलीके परमेस्वर सुइकार करल्कै। हाबिल मैरके चैलगेलै तैयो ओकर बिस्बासके उदाहरनसे अखुनो अपनासब सिखैले सकैचियै।
तुसब त परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे लबका करार बान्हैबला मध्यस्तकरता येसुलग एलचिही। तुसब हाबिलके लहुसे बेसी असल बातके परतिग्या करैबला येसुके लहुमे एल चिही।
अपनासब कयिन जखा नै हेबेपरतै। उ सैतानके लोक भेलाके कारन आपन भाइ हाबिलके मारल्कै। उ कथिले आपने भाइके मारल्कै? कथिलेत ओकर कामसब दुस्ट छेलै। महज ओकर भाइके काम धरमी छेलै।