36 अगर तोरासबके सौसे देह इजोतसे भरल छौ त आ कोनो भाग अन्हार नै छौ त, उ सब चमक्तौ, जनङ डिबिया तोरासबके इजोत दैछौ।”
तब येसु फेनो ओइसबके कहल्कै, “अहै खातिर स्वरगके राजके बारेमे जानकार भेल्हा हरेक धरमगुरु एकटा घरके मालिक जखा चियै, जे आपन बखारीसे लबका आ पुरन्का अनमोल चिजसब निकाइल सकैछै।”
लोकसब डिबिया नेसके ढकियासे नै झापैछै, महज डैठमे राखैछै आ उ डिबिया घरमे रहैबला सबके खातिर इजोत दैछै।
अइ खातिर होसियार रह, तोहर सङे भेल्हा इजोत अन्हार नै हेबे।
येसु बोइललेलाके बाद एक गोरे फरिसी खाना खाइले नौता देल्कै। ओहैसे उ घर भितर ज्याके खाना खाइले बैठलै।
“अन्हारमे इजोत चम्के” कहैबला परमेस्वरे हमरासबके हिरदयमे इजोत चमकाइनेछै। अहैलेल परमेस्वरके महिमा महान चियै कैहके हमसब जानैचियै। साँचोके उ महिमामय ग्यानके इजोत खिरिस्टके चेहरामेछै।
तब अपनासब चलाक लोकसबके झुठा सिक्छाके हबासे जने ल्याजेतौ तने जाइबला छोट धिया-पुता जखा नै हो। ओइसबके बन्याल जाल झेलसे दोसरके बहकाइछै।
खिरिस्टके बचनसे तोरासबके हिरदय परसस्त कैरके भरल रहे। आपन पुरे ग्यान-बुइधसे एक दोसरके सिखा आ सल्लाह दैबला काम कर। परमेस्वरके हिरदयसे धन्यबाद दैत भजन, इस्तुति-परसन्सा आ आत्मिक गितसब गाब।
ठोस भोजन खाइबला परिपक्क लोक रहैछै। उसब दिमागके निरन्तर अभ्यास दुवारा असल आ खराब छुटियाबे सकैबला भेल रहैछै।
महज जे लोकसबके छुटकरा दैबला सिध बेबस्था निहाइरके ध्यान लगाबैछै आ ओइमे लागल रहैछै, उ सुइनके नै बिसरैछै महज पालन करैछै, उ आपनेसे करल काममे आसिस पाबतै।
महज अपनासबके परभु आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके अनुगरह आ ग्यानमे बरहैत जो। ओकर महिमा अखैन आ सबदिन हेबे। आमेन।