17 महज ओकरासबके बिचार बुइझके येसु कहल्कै, “जै राजमे भितरसे फुट हैछै, उ उजार भ्याजाइछै आ जै घरमे फुट हैछै, उ घर नास भ्याजाइछै।
येसु ओइसबके मनके बात जाइनके कहल्कै, “तुसब आपन मनमे कथिले अधलाह बात सोचैचिही?
लोकसबके बारेमे ककरो नै ओकरा कहैके जरुरी छेलै, कथिलेकी ककर हिरदयमे कथी छै से बात उ आपने जानैछेलै।
ओकर पछा लागैबला बेटा-बेटीसबके हम खतम करबै। तब सब मन्डलीसब थाह पाबतै कि हम वहे चियै जे सबके मन आ हिरदयके जाँच करैचियै। हम तोरासबके काम अनुसारके इनाम देबौ।