15 महज ओइसबमेसे कतहेक लोक कहल्कै, “यि त भुतसबके रजा बालजिबुलके सक्तिसे भुतसब निकालैछै।”
तै खातिर चेला आपन गुरु जखा आ नोकर आपन मालिक जखा भेनाइ बहुत चियै। यदी उसब घरेके मालिकके बालजिबुल कहैछै त ओकर खानदानके औरो कि-कि नै कहतै!
तब लोकसब एकटा भुत आत्मा लागल आन्हर आ बौक लोकके येसु लग आनल्कै। येसु ओकरा निक करल्कै तब उ लोक बोले आ देखे लाग्लै।
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
महज फेनो फरिसीसब कहेलाग्लै कि “यि भुतसबके मालिकसे भुत निकालैछै।”
ओइसबमेसे बहुतो गोरा कहेलाग्लै, “अकरा त भुत लागल छै आ बताह भेलछै। तुसब कथिले अकर बात सुनैचिही?”
तब भिरके लोकसब कहल्कै, “तोरा त भुत लागल छौ। तोरा के मारैले मौका ताकैछौ?”
यि बातसब सुइनके यहुदी अगुवासब येसुके कहल्कै, “तु सामरी चिही आ तोरा भुत लागल छौ। कि हमसब ठिके कहैचियौ नै?”
तखन यहुदी अगुवासब ओकरा कहल्कै, “आब त साँचेके हमसब जाइन गेलियै कि, तोरा भुत लागल छौ। अबराहम मरलै आ अगमबक्तासब सेहो मरलै, महज तु कहैचिही कि ‘यदी कोनो लोक हमर बचनके पालन करतै त उ कहियो नै मरतै।’