7 तुसब घर-घर नै घुम। एके घरमे रह, जे चिज तोरासबके खाइले देतौ ओह्या खो आ पि। कथिलेत काम करैबला आपन बैनके योग्यके हैछै।
येसु ओइसबके कहल्कै, “जब कोनो घरमे ढुक्बिही, जाबेतक ओइ गामसे नै निकलबही ताबे तक ओतै रहिये।
ओइ घरमे सान्तीपिरिय लोकसब हेतौ त तोरासबके सान्ती ओकरौरसङे रहतौ महज नै छै त उ सान्ती तोरेसबके दिसन घुइमके चैलएतौ।
जे घरके लोक तोरासबके मान-दान करतौ, उ ठामसे नै निक्लैतक ओहै घरमे रहिये।
जब उ आ ओकर घरके सबलोक बप्तिस्मा लेल्कै आ हमरासबके आगरह करल्कै, “यदी अहाँसब साँचोके हमरा परभुके बिस्बासी कहैचियै त हमर घरमे आइबके रहु।” आ उ हमरासबके जबरजस्ती करेलाग्लै ताकि हमसब ओकर घरमे जाइ।
तब ओइसबके आपन घरमे आइनके भोजन कराइल्कै। उ आपन पुरा परिबारसब परमेस्वरमे बिस्बास करलाके कारन बहौत खुसी भेलै।
जहलसे निकललाके बाद पावल आ सिलास लिडियाके घरमे गेलै। ओते उसब परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसब सङे भेटघाट करल्कै आ साहस द्याके ओतेसे बिदाह भेलै।
बचनके सिक्छा पाबैबला सबकोइ आपन सब असल चिजसब बचन सिखाइबलासङे बाँटचुट करे।
उसब अङने-अङने चलैबला आदत पैरके कोरनी आ चुगली लगाइबाली हैछै। ओतबे नै उसब नै बाजैबला बातसब बतियाइछै आ दोसरके काममे टाङ अराबैबाली हैछै।
जे गिरहत घाम-पसिना चुबाके मेहनत करैछै, उबजल बालीके पहिन्का हिस्सा ओकरे मिलैके चाही।