30 येसु ओकरा जबाफदैत कहल्कै, “कोनो एकटा बटोही यरुसलेमसे यरिहो दिसन जाइ छेलै। रस्तामे ओकरा डाकुसब पकैरके नङटे कैरके मारपिट करल्कै आ अधमरु कैरके छोइरदेल्कै।
संजोगसे एकटा पुजारी ओहै रस्तासे अनेभरा आबैत रहै महज उ घायल लोकके देखके दोसर कातसे मुह घुम्याके चैलगेलै।
येसु बारहो चेलासबके कातमे लेजाके कहल्कै, “सुन, आब अपनासब यरुसलेम ज्यारहल चियै। अगमबक्तासब मानबके बेटाके बारेमे लिखलाहा सबबातसब ओतै पुरा हेतौ।
यि सब बात कहलाके बाद येसु चेलासबके अगा अगा यरुसलेमके दिसन जाइले लाग्लै।