11 ‘हमरासबके गोरमे लागल यि सहरके गरदासहित तोरासबके बिरुधमे झारैचियौ आ तुसब यि जान कि परमेस्वरके राज लग आइबगेलछौ!’
यदी कोइ तोरासबके मान-दान नै करतौ या तोरासबके बचन सुनैले इन्कार करतौ त, ओइ गाम आ सहरसे निक्लै बखत आपन टाङके गरदा झाइर दैहे।
‘स्वरगके राज नजदिक आइबगेल छै’ से परचार करैत जो।
“आपन पापके खातिर पस्चाताप कर, कथिलेत स्वरगके राज लग आइब गेल्छौ।
यदी कोनो ठाममे मान-दान नै हेतौ आ लोकसब तोरौरके बचन सुनैले इन्कार करतौ त ओइ ठामसे निकलैत खिना ओकरासबके बिरोधमे गबाहीके खातिर आपन टाङके गरदा झाइरदैहिये।”
महज तुसब जे सहरमे जेबिही, ओइ जगहके लोकसब स्वागत नै करतौ त ओइ जगहसे बाहर निकैलके जो आ कहै,
ओइ ठामके रोगी बिमारीसबके निक कर आ ओकरासबके कही ‘परमेस्वरके राज तोरासबके नजदिक आइबगेल छौ।’
महज जतेका लोकसब तोरासबके मान-दान नै करतौ तब ओइ सहरसे निक्लैतकाल तुसब आपन टाङके गरदा झाइरदैहिये। यि ओकरासबके बिरोधके साक्छी हेतै।”
“ऐ, अबराहमके कुलके धियापुता आ ओकरौरके परमेस्वरके डर मानैबला चाहे उ आने जातीके कियनै हेबै, कथिलेत यि मुक्तीके खबर परमेस्वर अपनासबके खातिर पठाइने छै।
तै खातिर साबधान रह, नै त अगमबक्तासबके किताबमे लिखल यि बातसब तोरौरके सङे भ्यासकैछौ-
तब पावल आ बरनाबास साहस कैरके कहल्कै, “परमेस्वरके बचन सबसे पैहने तोरासबके सुनेनाइ जरुरी छेलै, महज तोरौरके सुनैले नै मानलिही। तोरौरके आपनके अनन्त जिबनके योगके नै मानैचिही। आब हमसब दोसर जातीके लोकसबके परमेस्वरके बचन सुनाबे जेबै।
महज पावल आ बरनाबास आपन टाङके गरदा ओइसबके बिरोधमे झाइरके आइकोनियन सहर दिसन चैलगेलै।
महज इजराएलके बारेमे उ कहल्कै, “हमर बात नै मानैबला आ हमर बिरोध करैबलासब हमरलग घुइमके एतै कि कैहके हम दिनभैर आपन हाथ पसारने चियै।”
पबितर धरमसास्तर कहैछै, “मुक्तीके बचन तोरासबके लगेमे छौ। यि तोरासबके मुह आ हिरदयमे छौ।” अपनासबके बिस्बासके बारेमे परचार करल सुसमाचार अह्या चियै।
परमेस्वरके महिमाके इजोत ओकरेमे चम्कैछै आ वह्या परमेस्वरके साँचो रुप चियै। ओकरे सक्तीसाली बचनसे अकास आ पिरथिबीमे भेल सब चिजके अराइनेछै। उ लोकसबके पाप सुध करलाके बाद स्वरगमे रहैबला महिमीत परमेस्वरके दहिनाकात बैठलछै।