1 तकरबाद परभु येसु औरो सतर गोरे चेलासबके छानल्कै आ ओकरासबके दुइ-दुइगोरे कैरके गामसब आ सहरसबमे अपना जायसे पहिने परचार करैले पठाइल्कै।
उ एलिया जखा सक्ती आ पबितर आत्मासे भरल लोक बन्तै। उ परभु आबैके लेल लोकसबके हिरदय तैयार करतै। बाबुसबके मन धियापुता दिसन आ थेथरसबके मन धरमीसबके बुइधमे तैयार कैरके घुम्याके लाबतै।”
हे हमर बेटा, तु सरबोच परमेस्वरके अगमबक्ता कहाइबिही। कथिलेत तु परभुके अगा-अगा ओकर रस्ता बनाइले जेब्ही।
जब परभु येसु ओइ बिधुवाके देखल्कै तब ओकर हिरदय दयासे भैरगेलै आ कहल्कै, “नै कान!”
यि पुछैले परभु लग पठाइल्कै, “जे आबैबला कि अहाँ उहे चियै? कि हमसब दोसरके आस करु?”
तब उ समाध लजाइबला लोकसबके पहिने पठादेल्कै। उसब ओकर खातिर सब चिजके बन्दोबस्त करैले सामरीसबके गाममे गेलै।