80 तब बालक युहन्ना देहमे आ आत्मिक रुपमे बरहैत बौकार हैतगेलै आ इजराएलीसबके बिचमे देखा परैसे पहिने उ उजारे जगहमे रहैछेलै।
तब बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके चेलासब गेलाकेबाद येसु भिरके लोकसबके युहन्नाके बारेमे कहल्कै, “तुसब उजार जगहमे कथी देखे गेल छेल्ही? कि हबामे हिलैत नरकट के?
ओहै बखत बप्तिस्मा दैबला युहन्ना यहुदियाके उजार जगहमे एलै आ एहेन कहैत परचार करे लाग्लै,
कथिलेत परभुके नजरमे उ महान हेतै। उ कहियो नै अङगुरके मध आ दोसर कोनो निसाबला चिज छुबतै। उ जलमैसे पहिने पबितर आत्मासे भरल रहतै।
बालक येसु बैढते बल, बुइधसे भैरते गेलै आ परमेस्वरके आसिरबाद ओकरमे रहै।
तब येसु ग्यान-बुइधमे, कदमे, परमेस्वर आ मानबके अनुगरहमे बैढ्ते-बैढ्ते गेलै।
उ के चियै से हम्हु नै चिन्हैछेलियै, महज ओकरा इजराएलीसबके बिचमे परगट हेबे कैहके हम पानीके बप्तिस्मा दैत एलियै।”
कथिलेत ओते भेल्हा यहुदीसबसङे लोकसबके अगा तरक-बितरक करैतखिना उ धरमसास्तरके बातसब ल्याके परभु येसुवे मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै तकर परमान द्याके ओकरासबके चुप लगादेल्कै।