75 पबितर आ धरमी भ्याके जिबनभैर ओकर सेबा करेसकी।
उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ तु ओकर नाम येसु राखिहे, कथिलेत उ आपन लोकसबके ओकरासबके पापसे बचाइतौ।”
आ हमरासबके हमर दुस्मनके हाथसे छुटाइनेछै, आब हमसब नै डेराके,
उ सन्सार सिरिस्टी करैसे पैहनिए खिरिस्टमे अपनासबके आपन अगा पबितर आ निरदोस करैले छान्ने छेलै।
कथिलेत हमसब असल कामसबके लेल खिरिस्ट येसुमे सिरिस्टी भ्याल ओकर हाथके सिप चियै। ओह्या अनुसार अपनासब चल कैहके उ पहिनेसे तयार करने रहै।
लया स्वभाब धारन करैके लेल तुसब परमेस्वरके स्वरुपमे बनल चिही, अहैसे परमेस्वरके इक्छा जखा तोरासबके चालचलन धरमी आ पबितर हेबे।
अन्तमे हमर भाइ-भैयासब परमेस्वरके मनपरैबला जिबन कनङके जियैछै से हमसब तोरासबके सिखेलियौ ओहिनङके फेनु तुसब जियैचिही। तोरासबके जिबन औरो बहौत असल हेबे कैहके परभु येसुके नाममे हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
कथिलेकी परमेस्वर अपनासबके असुध हैले नै, महज पबितर जिबन बिताइके लेल बोलाइनेछै।
परभुके परेम करल भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हमसब हरदम परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइले बिबस चियौ, कथिलेत परमेस्वर सुरुवेसे तोरासबके मुक्ती दैकेलेल चुनल्कौ। उ मुक्ती तोरासबके पबितर बनाइले पबितर आत्मासे आ सत बातमे तोरासबके करल बिस्बाससे आबैछै।
परमेस्वरे हमरौरके बचेल्कै आ आपन पबितर बोलाबटसे बोलाइल्कै। हमरौरके काम देखके नै, महज उ आपन इक्छा आ अनुगरहसे करने छै, जे उ खिरिस्ट येसुमे जुगो-जुग पहिनेसे हमरासबके देने छेलै।