7 उसबके धियापुता नै भेल छेलै, कथिलेत एलिसिबा बाइझ छेलै आ दुनुगोरे बुढ भ्यागेल छेलै।
यहुदियाके रजा हेरोदके बखतमे अबियाके कुलमे एकटा जकरिया नामके पुजारी छेलै। ओकर घरबाली एलिसिबा सेहो हारुनेके कुल-खन्दानके छेलै।
उसब दुनुगोरे परमेस्वरके नजरमे धरमी छेलै आ परमपरभुके सब आग्या आ धारमिक नियमसब मानैछेलै।
एक दिन जकरिया मन्दिरमे आपन दलके पालीमे परमेस्वरके सेबाके काममे पुजारी काम कैर रहल छेलै।
अबराहमके उमेर लगभग सय बरिस पुगल छेलै आ उ जानैत रहलै कि हमर यि देहसे आब किछो नै हेतै आ उ यिहो जानैछेलै कि साराके बच्चा जलमाइले असम्भवछै। तैयो उ बिस्बासमे कमजोर नै भेलै।
बिस्बास भेलाके कारन सारा बुढ अबस्थामे देहभारी हैबला सक्ती पाबल्कै, कथिलेकी उ परतिग्या पुरा करैबलाके बिस्बासयोग्य ठानल्कै।