45 तु धैनके चिही कथिलेत परमेस्वर जे कहने छेलौ ओहै बात पुरा करतौ कैहके तु बिस्बास करलिही तब परमेस्वर काम करल्कौ।”
आब सुन, जाबेतक यि बचन पुरा नै हेतै ताबेतक तु बौक भ्याजेब्ही आ बोले नै सकबिही, कथिलेत तु हमर बचनमे बिस्बास नै करलिही, जे आपने समयमे पुरा हेतै।”
जब हम तोहर गोरलगी सुनलियै, हमर कोइखके बच्चा खुसीसे कुइद उछरलै।
कथिलेत उ त हमर जखा निच दासिके दुखमे किरपा करने छै, आबसे साँचोके सब पुस्ताके लोकसब हमरा धैनके कहतै।
येसु ओकरा कहल्कै, “यदि तु बिस्बास करबिही त परमेस्वरके महिमा देखबिही से हम तोरा नै कहने छेलियौ?”
येसु ओकरा कहल्कै, “तु त हमरा देखके बिस्बास करलिही महज उ लोक धैनके हेतै जे हमरा देखने नै छै तैयो बिस्बास करैछै।”