27 उ मरियम नामके कुमाइर कन्याके घरमे गेलै, जकरा दाउदके खन्दानके योसेफ नामके लोकसे मङनी भेल छेलै।
आ याकुबके बेटा योसेफ जे मरियमके घरबला रहै, ओही मरियमसे खिरिस्ट कहाइबला येसुके जलम भेलै।
येसु खिरिस्टके जलम एहेन परकारसे भेलै- ओकर माँ के मङनी योसेफसङे भेल छेलै, महज ओइसबके बियाह हैसे पैहनैये पबितर आत्माके सक्तिसे मरियमके देहभारी भेलै।
“देख, कुमाइर छौरीके देहभारी हेतौ आ उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ ओकर नाम इम्मानुएल राखल जेतै” जकर अरथ हैछै, “परमेस्वर हमरासबसङे छै।”
स्वरगदुत मरियम लग आइबके कहल्कै, “गोर लागैची! तुहे किरपा पाबनेचिही।”