16 तब उ बहुत इजराएलीसबके आपन परभु परमेस्वरमे बिस्बास करैले घुम्याके लाबतै।
कथिलेत युहन्ना धारमिकताके रस्ता देखाबैत तोरासबलग एलौ, महज तुसब ओकरा बिस्बास नै करलिही। बरु बटी उठाइबलासब आ बेस्यासब ओकर उपर बिस्बास करल्कै। यि सब देखियोके तुसब आपन पाप सुइकार नै करलिही आ ओकरमे बिस्बास नै करलिही।”
हे हमर बेटा, तु सरबोच परमेस्वरके अगमबक्ता कहाइबिही। कथिलेत तु परभुके अगा-अगा ओकर रस्ता बनाइले जेब्ही।
युहन्ना यरदन लदीमे ज्याके चारु दिसरके लोकसबके परचार करे लाग्लै, “आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताव कर आ बप्तिस्मा ले तब परमेस्वर तोरासबके पाप छमा कैरदेतौ।”