3 येसु जबाब देल्कै, “नै त ओकर आपने पापके कारनसे नै त ओकर बाप-महताइरके पापके कारनसे। महज परमेस्वरके काम ओकरमे परगट हेबे कैहके ऐहेन भेल छै।
अन्हरासब देखैछै, नेङरासब चलैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब सुध हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जिजाइछै आ दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।
तब येसु यि बात सुइनके कहल्कै, “यि बिमारसे उ नै मरतै, महज यि परमेस्वरके महिमाके लेल चियै आ अइसे परमेस्वरके बेटाके महिमा हेबे।”
येसु ओकरा कहल्कै, “यदि तु बिस्बास करबिही त परमेस्वरके महिमा देखबिही से हम तोरा नै कहने छेलियौ?”
ओतेका लोकसब पावलके हाथमे साँप ओझराल देखके एकदोसरसे कहेलाग्लै, “यि लोक पक्का हतियारा चियै, अइमे कोनो संखा नै छै। समुन्दरसे त बैचके चैलएलै महज नियाय निसाफसे दुर नै रहलै।”
ओइसबसङे सजाय दैके कोनो उपाय नै भेलासे डर-धम्की द्याके छोइरदेल्कै, कथिलेत जे घटना घटल छेलै ओइ घटनाके खातिर सब लोकसब परमेस्वरके परसन्सा करैतरहै।
परमेस्वर अपनासबके परेम करैछै कैहके हमसब जानैचियै आ ओकर परेममे पुरा बिस्बास छै। परमेस्वर परेम चियै। जे परेममे रहैछै उ परमेस्वरमे रहैछै आ परमेस्वर ओकरमे बास करैछै।
परमेस्वर अपनासबके एहेन परेम करल्कै कि उ आपन एक मातरे बेटाके सन्सारमे पठाइल्कै, ताकी अपनासब ओकरसे जिबन पाबेसकी।