उसब येसुके दोस लगाइत कहल्कै, “यि लोक आपनौरके रास्टके लोकसबके बहक्या रहल हमरासबके भेटलै। यि रोमी सरकारके बटी नै दहै आ उ आपनके हम खिरिस्ट आ रजा कहैछै।”
येसु मन्दिरमे सिखाइबखत, जोरसे कहल्कै, “तुसब हमरा चिन्हैचिही आ हम कतेसे एलचियौ सेहो तुसब जानैचिही। महज हम आपने मनसे नै एलचियौ। जे हमरा पठाइनेछै, उ सत छै आ ओकरा तोरासब नै चिन्हैचिही।
येसु ओइसबके जबाफदैत कहल्कै, “हम आपने बारेमे गबाही दैचियै, तैयो हमर गबाही सुइकारे जोकर छै। कथिलेत हम जानैचियै कि हम कतेसे एलचियै आ कते ज्यारहल चियै, महज तुसब यि बात नै जानैचिही कि हम कतेसे एलचियै आ कते ज्यारहल चियै।
महज आइके दिनतक हम परमेस्वरसे सहायता पाइबिये रहलचियै। अहै खातिर हम अते ठार भ्याके छोटका-बरका सबके गबाही दैचियै। अगमबक्तासब आ मोसाके कहल बचन अबस्य पुरा हेतै से बातसबके अलाबा हम कोनो बात बेसीसे नै कहनेचियै।