26 उसब ओकरा फेनो पुछल्कै, “उ तोरा कथी करल्कौ? कनङके उ तोहर आँख खोइलदेल्कौ?”
येसुके दोस लगाइले ओइ जगहके यहुदी धरमगुरुसब आ फरिसीसब मौकामे रहै कि पबितर बिसरामके दिनमे येसु ओइ लोकके हाथ निक करतै से कैहके ताकैछेलै।
तब उसब फेनो ओकरा पुछल्कै, “तब कह त कनङके तोरा सुझे लाग्लौ?”
फरिसीसब सेहो ओकरा पुछैले लाग्लै, “तु कनङके देखे लागलिही?” उ ओइसबके जबाब देल्कै, “उ हमर आँखमे माटी साइनके लग्या देल्कै, तब हम धोलियै त देखे लागलियै।”
उ जबाब दैत कहल्कै, “उ पापी छै कि नै छै, से हम नै जानैचियै! महज एकटा बात हम जानैचियै, हम अन्हर रहियै, महज अखुन देखैबला भेलचियै।”
उ जबाब देल्कै, “हम अहाँसबके पहिने कैहदेने चियै, महज अहाँसब नै सुनलियै। फेनो कथिले ओह्या बात पुछैचियै? कि अहाँसब सेहो ओकर चेला बनैले चाहैचियै?”