25 उ जबाब दैत कहल्कै, “उ पापी छै कि नै छै, से हम नै जानैचियै! महज एकटा बात हम जानैचियै, हम अन्हर रहियै, महज अखुन देखैबला भेलचियै।”
महज उ लोक जबाफ देल्कै, “जे लोक हमरा निक करल्कै ओह्या लोक हमरा ‘बिछौना बोइकके चल’ कहल्कै।”
तब यहुदीसब ओइ अन्हर लोकके फेनो दोसर बेर बोल्याके कहल्कै, “परमेस्वरके अगा सत-सत बाज, हमसब जानैचियै कि, यि लोक पापी चियै।”
उसब ओकरा फेनो पुछल्कै, “उ तोरा कथी करल्कौ? कनङके उ तोहर आँख खोइलदेल्कौ?”
तब उ लोक कहल्कै, “यि केहन अचमके बात! उ कतेसे एलछै से बात अहाँसब नै जानैचिही, महज उ हमर आँख खोइलदेल्कै।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकर हिरदयमे अइ बातके साक्छी रहैछै। परमेस्वरके बिस्बास नै करैबला ओकरा झुठा ठहराइछै, कथिलेकी परमेस्वर आपन बेटाके बारेमे देल साक्छीके उ बिस्बास नै करैछै।