10 तब उसब फेनो ओकरा पुछल्कै, “तब कह त कनङके तोरा सुझे लाग्लौ?”
आ उ सुततै तैयो, जागल रहतै तैयो उ बिया जलमबे करतै आ बढतै, महज उ कनङके बरहैछै से उ लोक नै जानैछै।
तब निकोदेमस ओकरा कहल्कै, “यि सब कनङ भ्यासकैछै?”
तकरबाद येसु गालिल तालके ओइपार गेलै। ओकरा तिबेरियस ताल सेहो कहैछेलै।
उ कहल्कै, “येसु नामके लोक माटी साइनके हमर आँखमे लगादेल्कै आ कहल्कै सिलोआमके पोखैरमे ज्याके आँख धुवा। ओते ज्याके धोते मातर हम देखे लागलियै।”
फरिसीसब सेहो ओकरा पुछैले लाग्लै, “तु कनङके देखे लागलिही?” उ ओइसबके जबाब देल्कै, “उ हमर आँखमे माटी साइनके लग्या देल्कै, तब हम धोलियै त देखे लागलियै।”
महज यि कनङके देखे लाग्लै आ के अकर आँख खोइल देल्कै सेहो हमसब नै जानैचियै। तुसब ओकरे पुछ। उ आब बच्चा नै छै, आपनेसे कहतौ।
उसब ओकरा फेनो पुछल्कै, “उ तोरा कथी करल्कौ? कनङके उ तोहर आँख खोइलदेल्कौ?”
कतहेक लोक कहल्कै, “हँ, यि एह्या लोक चियै।” औरो गोरा कहल्कै, “नै! ओनङ त ओह्या अन्हरा जखा लागैछै, महज उ नै चियै।” महज उ आपनेसे कहल्कै, “हँ, हम ओह्या लोक चियै।”
तोरासबमेसे कोइ कहतौ, “मरल लोकसब कनङके जीके उठतै आ उसब केहन किसिमके देह धारन कैरके एतै?”