58 तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, अबराहमके जलमसे पहिनेसे हम चियै।”
येसु जबाफ देल्कै, “हम पहिने तोरासबके कैहदेने चियौ, महज तुसब बिस्बासे नै करैचिही। आपन पिताके नाममे हम जे कामसब करैचियै, उहेसब हमर गबाही दैछै।
“हे पिता, हम इक्छा करैचियै कि, जकरासबके अहाँ हमरा देनेचियै, सेसब हमरसङे रहे आ हमर महिमा देखे, जे महिमा सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँ हमरा परेम करलाके कारनसे देनेछेलियै।
हे पिता, सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँसङे हमर जे महिमा छेलै, ओह्या महिमासे आब अहाँके अगा हमरा महिमीत करु।
अहैलेल हम ‘तुसब आपने पापमे मरबिही’ कहलियौ। यदि हम ओह्या चियै कैहके बिस्बास नै करबिही त तुसब साँचोके आपन पापमे मरबिही।”
तहैलेल येसु कहल्कै, “जब तुसब मानबके बेटाके उपर उठाइबिही, तखन तुसब जानबिही कि हम ओह्या चियै। हम आपने मनसे कुछो नै करैचियै महज पिता हमरा जे कुछो सिखाइने छै, ओह्या बात बोलैचियै कैहके तुहुसब बुझबिही।
येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “हम साँचे तोरासबके कहैचियौ, जे पाप करैछै, उ पापके दास चियै।
साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी जे कोइ हमर कहल बचनके पालन करतै त उ कहियो नै मरतै।”
वह्या सब चिज सिरिस्टी हैसे पहिनेसे छेलै आ ओकरेमे सब चिज अरल छै।
येसु खिरिस्ट काइल, आजु आ सबदिन एकसमान रहैछै।
“तु जे देखैचिही, से एकटा किताबमे लिख आ सातो मन्डलीके अरथात एफिसस, इस्मुरना, परगामम, थिआटिरा, सारडिस, फिलाडेल्फिया आ लाउडिकियाके पठा।”
सरबसक्तिमान परभु परमेस्वर कहैछै, “सुरु आ अन्त हम्ही चियै।” हम उहे चियै, जे छै, जे छेलै आ जे एतै।
“इस्मुरनामे भेल मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि लिख, ‘जे सुरु आ अन्त चियै, उ मरियोके जिबित हैबला अनङ कहैछै।