56 तोरासबके पुरखा अबराहम हमर आबैबला दिन देखैके लेल बहुते इक्छा करने छेलै। उ देख्बो करल्कै आ बहुत खुसियो भेलै।”
हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, तोरासबके देखलहा आ सुनलहा बातसब बहुतो अगमबक्ता आ धरमी लोकसब देखैके आ सुनैके इक्छा करने छेलै। महज उसब देखैयोले आ सुनैयोले नै पाबल्कै।
कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, बहुत अगमबक्ता आ रजासब तोरासबके देखलहा यि बातसब देखैले आ सुनैले इक्छा करने छेलै, महज नै पाबल्कै।”
येसु जबाफ देल्कै, “हम पहिने तोरासबके कैहदेने चियौ, महज तुसब बिस्बासे नै करैचिही। आपन पिताके नाममे हम जे कामसब करैचियै, उहेसब हमर गबाही दैछै।
हम जानैचियै कि तुसब अबराहमके धियापुतासब चिही तैयो तुसब हमरा मारैले चाहैचिही कथिलेकी हमर बचन तोरासबके हिरदयमे राखैके ठाम नै छौ।
उसब येसुके जबाब देल्कै, “हमरासबके पिता अबराहम चियै।” येसु ओकरासबके कहल्कै, “साँचोके तुसब अबराहमके धियापुता रहतिही त तुसब अबराहमके करल जखा काम करतिही।
उ सबलोक परमेस्वरके परतिग्या करल बात नै पाइबके बिस्बासेमे मरलै। उसब परमेस्वरके परतिग्या करल बात दुरेसे देखल्कै आ स्वागत करल्कै, तब उसब अइ पिरथिबीमे आपनेके परदेसी आ परबासी चियै कैहके ठानल्कै।
ओइसबके बिस्बासके कारनसे परमेस्वर ओइसबसङे खुसी भेलै, महज ओकर परतिग्या करल चिज कोइ नै पाबल्कै।