48 यि बातसब सुइनके यहुदी अगुवासब येसुके कहल्कै, “तु सामरी चिही आ तोरा भुत लागल छौ। कि हमसब ठिके कहैचियौ नै?”
तै खातिर चेला आपन गुरु जखा आ नोकर आपन मालिक जखा भेनाइ बहुत चियै। यदी उसब घरेके मालिकके बालजिबुल कहैछै त ओकर खानदानके औरो कि-कि नै कहतै!
तब येसु आपन बारहो चेलासबके एहेन कैहके पठाइल्कै, “तुसब गैर-यहुदीसबके बिचमे आ सामरीसबके सहरमे नै जो।
“कथिलेत युहन्ना लोकसब जखा खाइत पियैत नै एलै, तैयो तुसब ओकरा भुत लागल छै कैहके कहैचिही।
महज यि सुइनके फरिसीसब कहल्कै, “यि लोक त भुतसबके रजा बालजिबुलके सक्तिसे भुतसब निकालैछै।”
तै खातिर हम तोरासबके कहैचियौ, लोकसबके सब पाप आ निन्दा छमा हेतौ, महज पबितर आत्माके बिरोधमे करल निन्दा कोनोभी हालतमे छमा नै हेतौ।
हे कपटीसब! यसैया अगमबक्ताके कहल बातसब तोरासबमे जहिनाके तहिना मिलैछौ-
जखन यहुदी अगुवासब यरुसलेमसे पुजारी आ लेबीके युहन्ना लग “तु के चिही?” कैहके पुछैले पठेल्कै।
ओइसबमेसे बहुतो गोरा कहेलाग्लै, “अकरा त भुत लागल छै आ बताह भेलछै। तुसब कथिले अकर बात सुनैचिही?”
तुसब त हमरा ‘गुरु’ आ ‘परभु’ कहैचिही। यि त तुसब ठिके कहैचिही, कथिलेत हम ओह्या चियौ।
तब सामरी जनी कहल्कै, “अहाँ यहुदी भ्याके कनङके हम सामरी जनिसे पानी पियैले माङैचियै?” (कथिलेत यहुदीसब सामरीसबसङे कोनो समबन्ध नै राखैतरहै।)
तब भिरके लोकसब कहल्कै, “तोरा त भुत लागल छौ। तोरा के मारैले मौका ताकैछौ?”
यि बात सुइनके यहुदी अगुवासब एक-दोसरमे कहेलाग्लै, “कतौ यि आपने मरे ज्यारहल छै कि? अकर कहैके मतलब कथी चियै, ‘जते हम जेबौ, तते तुसब आबे नै सकबिही।’”
तखन यहुदी अगुवासब ओकरा कहल्कै, “आब त साँचेके हमसब जाइन गेलियै कि, तोरा भुत लागल छौ। अबराहम मरलै आ अगमबक्तासब सेहो मरलै, महज तु कहैचिही कि ‘यदी कोनो लोक हमर बचनके पालन करतै त उ कहियो नै मरतै।’
कथिलेत खिरिस्ट सेहो अपना खुस करैबला काम नै करल्कै। जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “अहाँके निन्दा करैबलासबके निन्दा हमरमे परलछै।”
ओहैलेल अपनोसब सहरसे बाहर येसु लग चल आ ओकरे जखा अपनोसब अपमान सह।
परमेस्वर एकेटा छै कैहके तु बिस्बास करैचिही। बहौत निक! महज एहेन बिस्बास त भुतोसब करैछै आ डरसे थरथर कापैछै।