40 महज हम तोरासबके परमेस्वरसे सुनल सत बातसब सुनाइचियौ त तुसब हमरा मारैले ताकैचिही। अबराहम त एहेन काम नै करल्कै।
तकरबाद येसु गालिल परदेसमे घुमफिर करल्कै। उ यहुदिया इलाका दिसन जाइले नै चाहल्कै, कथिलेत यहुदीसब ओकरा जानसे मारैले मौका ताकैछेलै।
तोरासबके बारेमे कहैबला आ नियाइ करैबला बहौत बातसब हमरसङे छै। महज हमरा पठाइबला सत छै आ हम जे ओकरसे सुन्ने चियै ओहे बात सन्सारके लोकसबके बताइचियै।
तोरासबके पुरखा अबराहम हमर आबैबला दिन देखैके लेल बहुते इक्छा करने छेलै। उ देख्बो करल्कै आ बहुत खुसियो भेलै।”
अहिनङे यहुदीसब खतना कैरके मातरे नै, महज उसब अबराहम जखा बिस्बासमे चलैके कारन अबराहम उ यहुदीसबके सेहो आत्मिक पुरखा भेलै।
कि अखुन हम सत बात बोइलके तोरासबके दुस्मन भेलियौ त?
लोकके इक्छा अनुसार जलमल्हा बेटा इसमाएल परमेस्वरके आत्मा अनुसार जलमल बेटा इसहाकके सताबै छेलै तहिनङे बेबस्था पालन करैबलासब अखुन्तो खिरिस्टके पछा लागैबलासबके सताबैछै।
तब उ अजेगर ओइ जनीसङे औरो खिस्याइलै आ ओकर सन्तान, परमेस्वरके आग्या मानैबलासब आ येसुके साक्छी दैबलासब सङे लराइ करे गेलै।
ओकर नङरिसे स्वरगके एक तिहाइ तरासबके बरहाइरके पिरथिबीमे फेक देल्कै। तब जलमेलागल बच्चा जलमैत मातर खाइके लेल जलम दैबाली जनीके अगा उ अजेगर ठारभेल छेलै।