36 अहैलेल परमेस्वरके बेटा तोरासबके छुटकारा देतौ त, साँचेके तुसब छुटकारा पाबबिही।
“परमपरभुके आत्मा हमर उपरछै, गरिबसबके सुसमाचार सुनाइले उ हमरा अभिसेक कैरके पठाइने छै। बन्धनमे परलसबके छुटकाराके लेल, अन्हरासबके आँख देखैके लेल, अत्याचारमे परलाहासबके सोतन्तर करैके लेल,
कथिलेत परमेस्वरके आत्मा येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके अनन्त जिबन दैछै। अपनासबके पापके नियम आ मिरतुसे छुटकरा दैछै।
कथिलेत परभु बोलाबैसे पहिने जे दास छेलै, आब उ परभुमे स्वतन्तर लोक भेलछै। तहिनङे परभु बोलाइसे पहिने जे स्वतन्तर छेलै, उ खिरिस्टके दास भेलछै।
आब परभु आत्मा चियै आ जते परभुके आत्मा छै ओते स्वतनन्तरता रहैछै।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।