12 तब येसु फेनो लोकसबके कहल्कै, “सन्सारके इजोत हम्ही चियौ। हमर पछा चलैबला अन्हारमे कहियो नै चल्तै, महज उ जिबनके इजोत पाबतै।”
“तुसब सन्सारके इजोत चिही। पहारमे रहल सहर घोसरैले नै सकैछै।
औरो जात जातीसबके रस्ता देखाइले इजोत देने चियै आ अहाँ इजराएलके सब लोकसबके लेल महिमाके इजोत चियै।”
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “औरो कुछ समयतलिक इजोत तोरासबसङे छौ। इजोत रैहते तुसब चलफिर कर, नै त अन्हार तोरासबके झाइपदेतौ। जे अन्हारमे चलैछै, उ कते ज्यारहल छै से उ नै जानैछै।
जाबेतक इजोत तोरासबसङे छौ, इजोतमे बिस्बास कर तब तुसब इजोतके बेटा-बेटी हेब्ही।” यि बात कहलाकेबाद येसु ओतेसे चैलगेलै आ ओइसबसे घोसैरके रहेलाग्लै।
हम सन्सारके इजोत बैनके एलचियै, तैल्याके हमरा बिस्बास करैबला कोइने अन्हारमे रहतै।
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
इजोत सन्सारमे एलछै आ लोकसब इजोतके बदला अन्हारके परेम करल्कै। कथिलेत ओइसबके काम दुस्ट छेलै। अहै कारन उसब दोसी ठहरतै।
यदि कोइ ओकर इक्छा अनुसार काम करैले चाहैछै त से उ जाइन जेतै, कि हमर सिक्छा परमेस्वरसे एलछै, कि हम आपने मनसे बोलैचियै।
जाबेतक हम सन्सारमे चियौ, ताबेतक हम सन्सारके इजोत चियौ।”
कथिलेत परभु हमरौरके अहिनङे आग्या करने छै- ‘पिरथिबीके अन्तके सिमा तक लोकसब हमर मुक्ती पाबै कैहके, अहै कामके खातिर गैर-यहुदीके बिचमे इजोत हैले नियुक्त करनेचियौ।’”
खिरिस्टके दुख भोगैये परतै आ उ मरलहासबमेसे जिबित भ्याके उठैबला पहिन्का भ्याके उ यहुदी आ गैर-यहुदीके इजोतके सन्देस सुनेतै।”
एहैन लोकसब त पानी बिनाके भवसब जखा चियै आ हबा बिहाइरसे उरैबला गरदा जखा चियै। एहैन लोकसबके लेल परमेस्वर पतालके अन्धकार जतनके राखनेछै।
परमेस्वर त पाप करैबला स्वरगदुतोसबके बाकी नै राखल्कै, महज उसबके नरकके खाइधमे फेक देल्कै। ओइसबके नियाइके दिनतक पतालके अन्धकारमे बाइन्हके राखनेछै।
यदि अपनासब कहैचियै कि हमसब परमेस्वरसङे संगती करैचियै तैयो अन्हारेमे चलैचियै त, अपनासब झुठ बोलैचियै आ सत्यतामे नै चलैचियै।
उसब समुन्दरके बरका झोह जखा चियै आ आपन घिन्याल बात समुन्दरके गेजुवा जखा देखाइछै। उसब अने-ओने घुमैबला तरासब जखाछै, जकरासबके लेल सबदिनके खातिर पतालके अन्धकार राखलछै।
तोरासबके याद करैबला बात यि चियौ कि, आपन अधिकारमे नै रहैबला आ आपन रहैयोबला ठाम छोरैबला स्वरगदुतसबके समेत परमेस्वर सबदिनके लेल बाइन्हके राखनेछै। उ नियायके बरका दिनमे सजाय दैकेलेल ओइसबके पतालके अन्हारमे बाइन्हके राखनेछै।
सन्सारके सबलोक ओकर इजोतमे चल्तै आ पिरथिबीके रजासब आपन महिमा ओते आन्तै।