6 तब येसु उसबके कहल्कै, “हमर लेल अखुनोतक ओते जाइले उचित समय नै एलछै। महज तोरासबके लेल कोनोभी समय उचितछौ।
येसु ओइसबके कहल्कै, “सहरमे एकटा लोकलग जो आ ओकरा कहिहे ‘गुरु जी कहैछै कि हमर समय लगचिया गेल छै। हम आपन चेलासब जरे अहाँ कते निस्तार पाबैनके भोज ख्याब।’”
निस्तार पाबैनसे पहिने, येसु अइ सन्सार छोइरके पितालग जाइबला समय आइबगेल छै से उ जानैछेलै। तब उ सन्सारमे भेल आपन चेलासबके परेम करल्कै आ अन्तिम समयतक उसबके परेम कैरते रहलै।
येसु यि सब बात कहलाके बाद स्वरग दिसन ताइकके कहल्कै, “हे पिता, आब समय आइबगेल छै। अहाँ आपन बेटामे महिमा परकट करु, ताकि बेटो अहाँके महिमा परकट करे।
यि बात सुइनके येसु कहल्कै, “माँ, हमरा तु यि बात कथिले कहैचिही? हमर काम करैबला समय अखुन नै एलछै।”
तैखातिर उसब येसुके पकरैले ताकैछेलै, महज कोइ नै ओकर उपरमे हाथ लगाइल्कै। कथिलेत ओकर समय अखुन तलिक नै एलछेलै।
तुसब पाबैन मनाइले जो, अखुन अइ पाबैनमे हम नै जेबौ, कथिलेत हमर समय अखुन नै एलछै।”
येसु यि बात मन्दिरमे भेटी चरहाबैबला बाकसके लगमे सिक्छा दैतकाल कहने छेलै। तैयो ओकरा कोइने पकरल्कै, कथिलेकी ओकर समय नै एलछेलै।
येसु ओकरासबके कहल्कै, “परमेस्वर आपन अधिकारसे तोकल तिथी आ मिती तोरासबके जानैके जरुरी नै छौ।