5 कथिलेत ओकर आपने भाइसब ओकरा बिस्बास नै करैछेलै।
जब येसु भिरके लोकसबसङे बात कैररहल छेलै तखैन ओकर माँ आ भाइसब ओते एलै आ ओकरसे बात करैके लेल बाहरमे असियाल छेलै।
जब येसुके परिबार यि सुनल्कै, तब येसुके लैले उसब निकल्लै, कथिलेत ओकर मन आपन ठाममे नै छै कैहके उसब कहैछेलै।
येसुके भाइसब पाबैनमे चैलगेलाके बाद येसु सेहो गेलै। उ खुलमखुला नै महज घोसैरके गेलै।
तैखातिर ओकर भाइसब ओकरा कहल्कै, “यि ठाम छोइरके यहुदिया चैलजाउ, कि अहाँ जे कामसब कैररहल चियै से ओतेका चेलासब सेहो देखे।
जे लोक नाम कमाबैले चाहैछै, उ घोसैरके कोनो काम नै करैछै। यदि अहाँ यि काम करैचियै त अहाँ आपनेके सन्सारमे परगट करु।”