43 तैखातिर लोकसबके बिचमे येसुके कारन बेमेल भेलै।
कथिलेत हम बाप बेटाके बिरोध, महताइर बेटीके बिरोध आ सौसके पुतौहसे बिरोध कराइले एलचियौ,
हम धरतीमे सान्ती दैले एलचियौ सम्झैचिही? नै, हम त लोकसबके भिन कराइले एलचियौ।
यि बात सुइनके यहुदीसबके बिचमे फेनो मनमोटाब भेलै।
भिरके बिचमे लोकसब ओकर बारेमे गुदुरफुसुर बतियाइले लाग्लै। कोइ “उ निक छै” कहैछेलै त कोइ “उ त लोकसबके बहकाबै छै” कहैछेलै।
कोनो-कोनो फरिसीसब कहल्कै, “यि लोक परमेस्वर दिसनसे नै एलछै, कथिलेत उ पबितर बिसराम दिनके पालन नै करैछै।” महज दोसर लोकसब कहेलाग्लै, “जे पापी हेतै, उ एहेन अचमके चेन्हासब कनङके देखाइले सक्तै?” अहै बातमे ओइसबके आपनमे मतभेद भ्यागेलै।
महज सहरके लोकसब दुइटा गुटमे बाँटल गेलै। कुछ लोक यहुदी दिसन त कुछ लोक परेरितसब दिसन भेलै।